banner-1
banner-3
banner-4
banner-5
1628409358269
1628430809926
1628409358089
previous arrow
next arrow

हमर परिचय

दूर्वाक्षत’ भारत सरकारक नीति आयोग सं पंजीकृत एकटा गैर-सरकारी संस्था (एनजीओ) अछि । औपचारिक रूपें एकर स्थापना साल 2017 मे भेल छल, ओना एकर बीज 2014 मे ही पडि गेल छल। वर्ष 2018 मे एहि संस्था कें  दिल्ली सरकार द्वारा मान्यता प्राप्त भेल आ 2019 मे भारत सरकारक नीति आयोग मे सेहो संस्था पंजीकृत भेल। संस्था मैथिल समाजक परम्परा सब कें प्रोत्साहित करबाक लेल काज रहल अछि, मुदा एकर सभसं पैघ उद्देश्य अछि मिथिलाक्षरक प्रचार प्रसार जाहि सं प्रत्येक मैथिल कें अपन मायक भाषा आ लिपि मे लिखब पढ़ब आबि जाय। जखन कि भारत सरकार मैथिली भाषा कें आठम अनुसूची मे स्थान द क एकरा गौरवशाली बना देलक अछि, संगहि नव शिक्षा नीति मे प्राथमिक स्तर पर सेहो एकरा प्रोत्साहन देबाक बात अछि तखन किएक  नहि एकरा फेर स जन जन तक पहुँचाओल जाए। ‘दूर्वाक्षत’क संस्थापक आ अध्यक्ष पं. कौशल झा केर कुशल नेतृत्व मे ई काज भारतक राजधानी दिल्ली सं संचालित भ रहल अछि। 

0 +
कुल पंजीकृत
0 +
मिथिलाक्षर प्रवीण
0 +
नामांकित

Social Media

Facebook Page

Instagram Feed

Donation

TopBack to Top